Wednesday, October 20, 2021

लघुकथा- पुत्रमोह - (मैथिली अनुवाद- विद्यानन्द बेदर्दी)

लघुकथा- पुत्रमोह
(मैथिली अनुवाद- विद्यानन्द बेदर्दी)  

'यौ सुनू न । हमर नुन्नु-बेटा तँ हमरे दिस भेल । अहाँक धन किछु नइँ काज लागल । हमर मातृत्व आगु अहाँक बनौटी दुलार घाँस चरऽ गेल।'

मोबाइलसँ पतिदेवकेँ खोचकारैत हम चिकरल छलौँ । एक दशक उमेर पहुँच गेल बेटाकेँ काखमे राखि हम नैहराक बाट नापि लएने छलौँ। ओ नइँ मानलाक कारण दोसरे सिटक झालदिस बैठऽ बाध्य भेलौँ । यात्रुबसमे मात्र पाँच गोटे यात्रारत छलौँ।

हमर बातसँ ओ चुप्पी लधने छलाह । एक शब्द हुनकर ठोरसँ नइँ फुटि रहल छल । मात्र एकाग्र भकऽ सुनि रहल छलाह। हम बस एकभगाह बाजि रहल छलौँ - "
- अहाँक कनियाँ धन मात्र होए; सजीव नइँ होए ।
- अहाँक आँखि पाय मात्र चिन्हए; दोसर चीज नइँ चिन्हए ।
- अहाँ बोराभरिकऽ धन कमाउ आ जिनगीभरि धनकेँ देखिकऽ रमाउ । धन लोकक मनकेँ आन्हर बना दै छै से भाव कहियो बोध नइँ हुअए । "

..एना हम हुनका सरापिकऽ छटपटाइत करेजकेँ ठण्डा करैत छलौँ । ओ हमरा नइँ अज्ञात रखैलिकेँ अदृष्य धनचालक बनेलाक कारण भितरे-भितर हम जरि रहल छलौँ।

हम भनभन कएलापर ओ कहने छलनि; 'अहाँ जिनगीसँ चलि जाउ । मनमौजी पाय लिय आ झट्ट दऽ भागू ।'

त्यागपत्रमे सही कएला बापत पचास हजार देने छलनि। उहए लकऽ नैहराक अधेर विन्देशर सङ्ग बाँकी जिनगीक बन्हन बान्हऽ जाइत छलौँ ।

धनसँ गरिव भेलोपर मनसँ धनिक छलाह विन्देशर । छाक टारऽ लेल सेहो हुनका काम-काजमे भर पड़बाक बाध्यता छल। ई बात जानितो हम जिनगीकेँ आओर गहीर मोड़दिस धकलैत छलौँ।     मूल सर्जक- -नन्दलाल आचार्य

'पपा सत्र हजारकऽ साइकल किनि दै वला छलखिन । हमरा घर पहुँचा दिए। बरू साइकल किनि देलापर अहीँ सङ्ग रहब माँ।'

बेटाक बात हमरा आओर गम्भीर आ संवेदनशील बनेलक। आब तँ हमर बात्सल्यप्रेमप्रति प्रश्न चिन्ह ठाढ़ भगेल। अपन निर्धन जिनगीकेँ बुझि आँखि नोरा गेल ।

हमर चुप्पीकेँ चिरैत ओकर बोली फुटल छल ; 'हमरा अहीँ सङ्ग जँ रहऽ पड़तै माँ तँ साइकल किनि दिए तबेटा रहब।'

2078/06/22

No comments:

सम्पूर्ण हालखबर- लघुकथा प्रतिष्ठान, नेपालको चौथो वार्षिकोत्सव (०८२ कार्तिक ०३ गते) By Nanda Lal Acharya

सम्पूर्ण हालखबर- लघुकथा प्रतिष्ठान, नेपालको चौथो वार्षिकोत्सव (०८२ कार्तिक ०३ गते) (शब्दाङ्कुर साहित्य समाचार) स्रष्टा-द्रष्टाको उत्सवका रूप...